२ बैशाख २०८३, बुधबार Wed Apr 15 2026

अनाथ बालबालिकाकेँ आवासीय सुविधासहित निःशुल्क शिक्षा



गोरखा, १६ फागुन: बारपाक सुलिकोट गाउँपालिकाके कार्यक्षेत्रमे रहल अनाथ बालबालिकासभकेँ आवासीय सुविधासहित निःशुल्क शिक्षा उपलब्ध करेबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ। गाउँपालिका–६ स्थित बाह्रकोटमे मनास्लु छात्रावास संचालन करैत अभिभावकविहीन बालबालिकासभकेँ भोजन आ आवासीय व्यवस्थासहित निःशुल्क पठन-पाठन करेबाक व्यवस्था कएल गेल जानकारी गाउँपालिका अध्यक्ष विष्णुप्रसाद भट्ट देने छैथ।

“निःशुल्क भोजन, निवास आ पढ़ाइ करबाक व्यवस्था कएने छी । अहिठाम १९ गोटे अनाथ बालबालिका छात्रावासमे रहि अध्ययन क रहल छैथ।” छात्रावासमे ९ गोटे छात्रा आ १० गोटे छात्र छैथ। ओसभकेँ कक्षा १२ धैर निःशुल्क शिक्षा देल जाएत । पालिका अध्यक्ष भट्ट जानकारी देलैथ जे बालबालिकासभकेँ आवश्यक लत्ताकपड़ा, किताब-कपी, कलम आदि सामग्रीसभ इच्छुक दातासभसँ सहयोग ल क प्रदान कएल जाइत अइछ।

अनाथ बालबालिकासभकेँ निःशुल्क शिक्षा आ बसोबासके व्यवस्था करबाक लेल चालू आर्थिक वर्षमे गाउँपालिकाकद्वारा १२ लाख टका विनियोजन कएल गेल छल। छात्रावासमे दू गोटे महिला कार्यालय सहयोगी, छात्रावास सुरक्षाक लेल सुरक्षाकर्मी आ एक गोटे निरीक्षकके सेहो व्यवस्था कएल गेल अइछ।

प्रकाशित मिति : १६ फाल्गुन २०८१, शुक्रबार  ८ : ०४ बजे